🔖 हमर परिचय (About Us)
Maithili Patra एकटा स्वतंत्र तथा धार्मिक संसाधन वेबसाइट छी, जे मैथिली भाषामे वैदिक (मिथिला) परम्परा पर आधारित पंचाङ्ग, व्रत-पर्व, हिन्दू संस्कार, मुहूर्त आ आध्यात्मिक लेख सभके सुलभ बनाब’ हेतु समर्पित अछि।
🎯 उद्देश्य (Our Mission)
हमर मुख्य उद्देश्य अछि: “मैथिली भाषामे मिथिलाक पञ्चाङ्ग सुलभ सँ सभ ठाम पहुँचय”। हम चाहैत छी जे मिथिलाक लोक अपन तिथि, व्रत, मुहूर्त आ सांस्कृतिक परम्पराकेँ अपन भाषा में सहज रूप सँ बुझि सकथि।
📚 की-की भेटत अहाँके?
- 🗓️ सम्पूर्ण पंचाङ्ग (तिथि, नक्षत्र, योग, करण आदि)
- 📆 विवाह, उपनयन, गृह प्रवेश आदिक शुभ मुहूर्त
- 🙏 व्रत-पर्व, एकादशी, अमावस्या आदिक जानकारी
- 🕉️ मन्त्र, स्तोत्र, श्लोक संग अर्थ
- 🪔 आध्यात्मिक लेख, मिथिला संस्कृति आ संस्कार विवरण
👤 संचालनक विषयमे
एहि वेबसाइट केर संचालन रौशन चौधरी द्वारा कएल जा रहल अछि। ओ मैथिली भाषा आ हिन्दू परंपरा के प्रचार-प्रसार लेल निरंतर प्रयासशील छथि। अहाँ योगदान देबय चाही छी त’ संपर्क पृष्ठ पर जरूर जाउ।
📍 स्थापनाक वर्ष
Maithili Patra केर शुभारंभ वर्ष 2015 में भेल छल, आ एखनहुँ ई निःस्वार्थ भाव सँ सेवा देबैत अछि।
💡 टीम आ दर्शन (Team & Vision)
ई वेबसाइट स्वयंसेवक धार्मिक कार्यकर्ता सभक सहयोग सँ तैयार कएल गेल अछि। हमरा सभक विश्वास अछि जे "भाषा, संस्कृति आ धर्म" के जँ एक संग सहेजल जाए त' समाज के जागृति संभव अछि।
📩 संपर्क
जँ अहाँ केँ कोनो सुझाव, सवाल अथवा विचार हुए , त' कृपया संपर्क पृष्ठ पर संप्रेषण करू।
🌱 हम आशा करैत छी जे ई प्रयास अहाँक जीवन में धार्मिक आ सांस्कृतिक ऊर्जा देत।